धात खसनाइ के बारे मे बहुत लोक के जिज्ञासा रही छै। इ कोनो भी वर्गके महिलाके होब सकइय। युवति स लक बेसी उमेरके महिला सबके भ सकइय। महिनावारी होब स पहिने आ बाद मे सहो भ सकइय।
समस्या इ छै कि विभिन्न लोग सब के विभिन्न रंग रुप के पानी/ धात खस सकइय, एकरा कखन सामान्य आ कखन समस्याके रुपमे लेल जाय सहे आइ हम चर्चा कर चाहइ छि।
धात खसके मुख्य कारण?
मनुष्य जीवनमे साफ सफाई बहुत जरुरि छै। जेना अपने सब नहा क शरीर सफा क लइ छि, बुरुश क दांत साफ क लइ छि, लेकिन महिलाके जे योनि के भितर त अपने सब सफाई नइ कर सकइ छि। अहि लेल इ एकटा प्राकृतिक प्रक्रिया छै योनि के साफ सफाइ के।
समस्या कखन उत्पन्न होइ छै?
अगर धात/ पानी यदि दुर्गन्धित होइ या पानी के रंग पारदर्शी नइ भ फरक रंग के होइ हरियर आ पियर होइ। साथही कखनो पानी खसला पर हउवे लागे तब एकरा समस्या के रुपमे लेब सकइ छि, और एहन अवस्थामे डाक्टरके अवश्य सम्पर्क कर चाही।
असुरक्षित योन समपर्क स सेहो धात खस सकइय। आ आइ काइल्ह नया उत्पाद जेना टेमपोन, केश हटाव वाला वस्तु (वीट) सबके सहो किछ महिला सबके रिएक्शन होब सकइय।
कि छै उपचार?
सब सं पहिने त इ पता लगेनाइ जरुरि छै जे धात खसके मुख्य कारण कि छै। ओइ के विभिन्न तरिका सब छै, जेना Pap Smear (पेप स्मियर) टेस्ट स गर्भाशय कैंसरके परिक्षण कायल जे सकइय।यदी योन रोगके सन्देह छै त एड्स / HIV, हर्पेस के जांच करल जाय सकइय।
अन्तिम मे Colposcopy (कल्पोस्कोपी) जांच द्वारा पाठेघरके पूर्ण जांच केयल जा सकइय। इ जांच हमर क्लिनिक “जीवन ज्योति क्लिनिक” मे सहो उपलब्ध अछि जनकपुरधाममे।
उपर लिखल कुनु तरहके गम्भीर लक्षण सब अइ त तुरन्त अपन डाक्टरके सम्पर्क क उपचार करायल जाय। अहि विषय पर हम एकटा विडियो सेहो बनेने छि, कृपया अइ के देख अपन प्रतिक्रिया देल जाय।