०७ पुष, जनकपुरधाम। प्रतिनिधि सभा के नवनिर्वाचित सदस्य आइ पद आ गोपनीयता के शपथ ल रहल छथिन्ह।
प्रतिनिधि सभाके वरिष्ठ सदस्य पशुपति शमशेर जबरा आइ दुपहर १ बजे संघीय संसद भवन नयावनेश्वरमे सांसदसबके शपथ ग्रहण करताह । जबरा बुधदिन शीतल निवास मे राष्ट्रपति विद्या देवी भण्डारी द्वारा शपथ लेलनि। संघीय संसद सचिवालय शपथ लेला के बाद सांसद सब के लोगो भेंट करत आ हुनकर सम्मान में चाय पार्टी के आयोजन कायल जायत से जनौलक अछि ।
संघीय संसद सचिवालयके प्रवक्ता डा. रोजनाथ पाण्डेयके अनुसार अधिकांश सांसद नेपाली भाषामे शपथ लेलनि तऽ २६ गोटे अपन मातृभाषामे शपथ लेबाक लेल आवेदन केने छथि।
नेपाली के अलावा अन्य भाषा में शपथ लेबय चाहय वाला के लेल गुरुवार के भोर ११ बजे तक आवेदन जमा करय लेल कहल गेल अछि। बुधदिन साँझ धरि २६ सांसद आवेदन जमा कएने छथि। ओ सब एकटा आवेदन जमा कएने छथि जे हिन्दी स ल कए संस्कृत तक क भाषा मे शपथ लेबय चाहैत छथि।