Samajik Feed – News Portal from Nepal

१६ पौष, जनकपुरधाम। पर्सामे एक प्रिन्टिङ्ग तथा प्याकेजिङ उद्योगमे आइग लाग्ला सं करोडौँके क्षति भेल अछि।
पर्साके बिन्दवासिनी गाउँपालिका ३ गर्दौल गाउँमे हेमन्तकुमार चौरसियाद्वारा सञ्चालन भेल एस बाबा प्रिन्टिङ्ग एण्ड प्याकेजिङ्ग इन्डष्ट्रिजमे आइग लगल छल।
मंगलदिन राइत् मे सवा ११ बजे उद्योगमे आइग लाग्ला सं ७ घण्टा तक लगातार प्रयास कइलाक बाद बुधदिन भोरे ६ बजे मात्र आइग के नियन्त्रणमे लाइब सकल से प्रहरी जानकारी करैलक् ।
इलाका प्रहरी कार्यालय पोखरियाके प्रहरी निरीक्षक आयुष जोशीके अनुसार आइग के नियन्त्रण मे लाबेला, बाराके ११ टा वारुणयन्त्रके प्रयोग क्याल गेल अछि ।
आइग लगल सं उद्योगमे रहल मेसिन, कच्चा सामग्री आ तयारी माल जइर के पूर्ण रुपसं नष्ट भेल से बात सञ्चालक चौरसिया जानकारी देलखिन । चौरसियाके अनुसार आइग लाग्ला से उद्योगमे रहल कार्टुन बनाबे बाला, प्रिन्टिङ्ग करेबाला, प्लेट बनाबे बाला, पार्टिसन करे बाला, प्याकेटमे जाली लगाबे बाला लगायतके मेसिनरी पूर्णरुपसं जइर के नष्ट भेला के साथे फ्याक्ट्रीके भवनमे समेत क्षति पुगल से बतौलिन।
हुंकर अनुसार आइग लाग्ला से लगभग १३ करोडके क्षति भेल से अनुमान कइने अछि।
विद्युत सर्ट भ आइग लगल होइत अनुमान कइने अछि ।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्साका प्रवक्ता प्रहरी उपाधीक्षक दीपक गिरी आगि केना शुरू भेल आ कतेक क्षति भेल तकर अनुसन्धान चैल रहल बतौलनि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

error: Content is protected !!