Samajik Feed – News Portal from Nepal

०६ पुष, जनकपुरधाम। नेपाल पत्रकार महासंघ सप्तरी शाखा आन्दोलित भेल अछी । महासंघ सप्तरी पुस ४ गतेसे १२ गतेटक संघर्षके कार्यक्रम घोषणा कइने है।

समाचार लिखेके कारण सं पत्रकर्के ज्यान मारेके धम्की देबे बाला के कानुनी दायारमे राखेके प्रहरी के सतर्कता नै देख्ला सं महासंग शाखा सप्तरी द्वारा आन्दोलन कइने छै।

महासंघके अध्यक्ष श्रवणकुमार देव आ सचिव रामनारायण विश्वासके संयुक्त हस्ताक्षरमे जारी भेल विज्ञप्ति अनुसार पुस ५ गते पीडित पत्रकारके न्याय आ पीडकके कारबाहीके मागसहित प्रमुख जिल्ला अधिकारीके ज्ञापन–पत्र बुझाक आ ओहि दिन हाथमे कारी पट्टी बाहिनके काम करेके लागि संघर्ष के कार्यक्रम तय भेल छल।

महासंघ पुस ६ गतेसे १२ गतेतक सप्तरी प्रहरीके औपाचारिक कार्यक्रम बहिष्कार केलक, तहिना पुस ७ गतेसे १२ गतेतक सप्तरी प्रहरीके प्रमुख सहभागी भेल कोनो कार्यक्रम बहिष्कार करबाक कार्यक्रमके सार्वजनिक घोषणा कइने छथिन।

तहिना, पुस ८ गते सुर्खेतमे आयोजना होबे बाला नेपाल पत्रकार महासंघ के केन्द्रिय साधारण सभास्थलमे दोषीके कारबाही आ पीडित पत्रकारके न्यायके मागसहितके ब्यानर प्रदर्शन करब आ पुस १२ गतेतक मागप्रति स्थानीय प्रहरी–प्रशासन गम्भिर नै भेल तह दोसर चरणके आन्दोलनमे जाइब से विज्ञप्तिमे उल्लेखित क जानकारी करइलक्।

नेपाल पत्रकार महासंघके पूर्व केन्द्रीय सदस्य समेत रहल सप्तरी शाखाके सदस्य अवधेश कुमार झा कान्तिपुर दैनिक पत्रिकामे राजविराज नगरपालिका कार्यालयके समाचार लिखने छलखिन। ओहि समाचारके सम्बन्ध मे गत मंसिर १९ गते नसरुल राजा र मो। सजाद नामक फेसबुक आईडीसं जान सं मारय के धमकी भेटल अछि ।

धमकी के बाद महासंघ के सप्तरी शाखा जिल्ला प्रहरी कार्यालय मे याचिका दायर क अपराधी के खिलाफ कार्रवाई के मांग केलक, मुदा पुलिस कानूनी प्रक्रिया के आगू बढ़ेबा मे संकोच क रहल अछि। पिछला बेर पुस १ गते महासंघ ४८ घण्टाके द कए संघर्ष कार्यक्रम शुरू केलक।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *