Samajik Feed – News Portal from Nepal

०६ पुष, जनकपुरधाम। नेपाली काँग्रेस संसदीय दलके नेतृत्वके लेल प्रत्याशी महामन्त्री गगनकुमार थापाके अपनहि समूहके संसद सदस्यके मत तक नहि भेटल ।

पार्टीके नेताके अध्यक्ष शेरबहादुर देउवा आ महामन्त्री थापाके बीच मुकाबला भेल छल। स्थापना समूह स ५९ आ शेखर समूह स ३१ सांसद छलाह। शेखर समूह के विश्लेषण छल जे कम सं कम ४० प्रतिशत भोट के नुकसान होएत किएक त महामंत्री विश्वप्रकाश शर्मा आओर संस्थापन समूह सं महामंत्री पद के लेल चुनाव लड़य वाला प्रदीप पौडेल सेहो हुनकर समर्थन केलखिन्ह।

मुदा बुधदिन भोर मे भेल मतदान मे देउवा के ६४ भोट मिललन्हि जखन कि गगन के मात्र २५ वोट मिललन्हि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *