५ पौष, जनकपुरधाम। सप्तरीके रुपनीमे टिपरके ठक्करसं एक गोटे छात्राके मृत्यु भेला सं ओत के स्थिति आइ दिनभर तनावपूर्ण बनल अछि।
सप्तरी जिल्लाके रुपनी गाउँपालिका वडा नं. १ के बासिन्दा शङ्कर यादवके १२ वर्षीया बेटी रिता कुमारी यादवके ना १ ख ८५४२ नम्बरके टिपर सं मंगलदिन भोरे करिब १० बजे ठक्कर देलासं मृत्यु भेला क कारण हुंकर आफन्त, स्थानीय तथा विद्यार्थी सब द्वारा पूर्व पश्चिम राजमार्ग रुपनीमे अवरुद्ध कइने अछि।
तहिना, मृतक रिता कन्छु नर प्रताप उच्च मा.वि. रायपुरके कक्षा ६ मे अध्ययनरत छात्रा रहल।