पुष ४ , जनकपुरधाम। जनकपुर के प्रसिद्ध संस्थागत मोनस्टिक आवासीय माध्यमिक विद्यालय में रक्तदान कार्यक्रम के आयोजन क अपन ३७ मा वार्षिकत्सव मनौलक |
![](https://samajikfeed.com/wp-content/uploads/2022/12/image-8.png)
रविदिन दुपहरमे आयोजित रक्तदान कार्यक्रम मे ४३ गोटे रक्तदान केलथि । मोनस्टिक स्कुल निर्देशक डॉ. सोनू कुमार साहके अध्यक्षता में आयोजित कार्यक्रम में विद्यालय के शिक्षक, कर्मचारी, अभिभावक एवं आम जनता उपस्थित छलै |
आयोजकक अनुसार राजकुमार महासेठ, मिलन चमलिंग, राकेश श्रेष्ठ, शोभा यादव, आशीष साह, किसान महारा सहित ४३ गोटे रक्तदान केलथि । आयोजक रक्तदान करय वाला के प्रमाण पत्र देलखिन्ह | वार्षिकत्सवके अवसर पर स्कूल द्वारा रात्रिभोज के आयोजन सेहो कायल गेल।