Samajik Feed – News Portal from Nepal

पुस ३ गते, बाराही हाइड्रोपावर कम्पनी लिमिटेडके आईपीओ बाँडफाँट भेल अछी। कम्पनीके शेयर निष्काशन और बिक्री प्रबन्धक एनआईबिएल एस क्यापिटल लिमिटेडके कार्यालयमे आईपीओ बाँडफाँट भेल छै।

कम्पनीके शेयरमे ११ लाख ९१ हजार २८४ जना योग्य आवेदक स् एक अर्ब ३० करोड ७८ लाख १० हजार रुपैयाँ बराबरके १ करोड ३० लाख ७८ हजार १०० कित्ता शेयरके लागि आवेदन परल छल।

कम्पनीके शेयरमे माग स् बेसी आवेदन परलाके कारन धितोपत्र निष्काशन और बाँडफाँट निर्देशिका अनुसार न्युनतम १० कित्ताके दर स् शेयर वितरण कईने छल । तहि अनुसार शेयर वितरण कैला प् योग्य आवेदक मध्ये ५१ हजार ५२२ गोटा आवेदक १० कित्ताके दर स् शेयर पईने छै ।

काठमाडौँके बबरमहलमे रजिष्ट्रार्ड कार्यालय रहल ई कम्पनी बाग्लुङ जिल्लाके कुश्मीसेरा और सर्कुवा गाविसके सिमाना स्थित १.५ मेगावाटके ठेउले खोला जलविद्युत आयोजनाके बाँध निर्माण सम्पन्न कके २०७४ असार २४ गते स् व्यापारिक उत्पादन शुरु कके नियमित रुपमे नेपाल विद्युत प्राधिकरण स् विद्युत बिक्री कैईने छै । विद्युत उत्पादनके लागि कम्पनी २०७२ भदौ ७ गते अनुमति प्राप्त कैईने छल । सो अनुमति २१०७ असार २७ गतेतक कायम रहत ।

आर्थिक वर्ष २०७५/७६ मे आयोजनाके कुल लागत ३१ करोड २२ लाख १८ हजार ८५९ रुपैयाँ रहल छल। आयोजनाके प्रति मेगावाट लागत २० करोड ८१ लाख ४५ हजार ९०१ रुपैयाँ रहल छै । यहि अनुसार साधारण लगानी फिर्ता हुवके अवधि १० वर्ष ६ महिना रहल छै तैनाइते डिस्काउन्टमे लगानी फिर्ता हुवके अवधि २० वर्ष ६ महिना रहल छै ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

error: Content is protected !!