Samajik Feed – News Portal from Nepal

३ पुष, जनकपुरधाम। महालक्ष्मी विकास बैंक १०.४७ प्रतिशत लाभांश बांटत। शुक्रदिन १ पुष के भेल बैंक संचालक समिति के बैसार मे वित्तीय वर्ष २०७८/७९ क मुनाफा स शेयरधारक कए लाभांश बांटबाक प्रस्ताव राखल गेल छल।

शेयरधारक कए देल गेल १०.४७ प्रतिशत लाभांश मे स बैंक वर्तमान भुगतान पूंजी क ४ अरब १.८ करोड़ ८३ हजार क ४ प्रतिशत बोनस शेयर आ कर क उद्देश्य स ६.४७ प्रतिशत नकद लाभांश वितरित करबाक प्रस्ताव रखने अछि।

बैंक के प्रस्तावित लाभांश नेपाल राष्ट्र बैंक के अनुमोदन आ अगिला वार्षिक आम सभा पारित भेला के बाद शेयरधारक के वितरण होयत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

error: Content is protected !!