२ पुष, जनकपुरधाम। ६ पुष स पोखरा फेवातल क किनार कला, साहित्य, संगीत, देश, राजनीति आ समाज स ल कए हर विषय पर विचार, चर्चा आ मंथन स गरम होएत। दसम नेपाल साहित्य महोत्सव मे दर्शक अपन रुचि के अनुसार पात्र के सत्र आ साक्षात्कार ल सकैत छथि ।
११ गते तक चलय वाला साहित्य महोत्सव में ५० स बेसी सत्र, संगीतमय साँझ आ आओर रोचक मनोरंजन होयत।
आयोजक बुकवर्म फाउंडेशन के निर्देशक निरज भारी कहलनि जे, महोत्सव मे पूर्व प्रधानमंत्री आ एमाले अध्यक्ष केपी शर्मा ओली, कांग्रेस महामंत्री गगन थापा आ विश्व प्रकाश शर्मा लगायत जनमत पार्टी अध्यक्ष सी.के. राउत के सहो उपस्तिथी रहत।