२९ मङ्सिर, जनकपुरधाम। दिलिप हत्याकाण्ड सम्बन्धि धनुषा अदालतमे चैल रहल मुद्दामे पेशीके समय बारम्बार परिवर्तन करेके कारण शंका उतपन्न भेल हुंकर सबक कहनाइ अछि। युथ एसोसिएशन अफ नेपाल के आयोजनामे धनुषा जिल्ला अदालत अगाडी आइ युवा अभियानीसब द्वारा दिलिप महतोके न्यायके लागी दवाब मुलक कार्यक्रम कैने छै। दिलिप महतोके मुद्दाके निर्णय जल्दी आ न्यायपूर्ण ढङ्गसं करेला आ दिलिप महतोके प्रथम पर्यावरण शहिदके रुपमे से हो घोषणा करबाक मांग राख्ने आइ धनुषा जिल्ला अदालत सामने प्रदर्शन कइने युवा अभियानी राजू कुमार महतो बतौलिन।
२०७६ पौष २५ गते क्रसर उद्योगीसब द्वारा भरहल नदी उत्खनन के विरोध करेके क्रममे दिलिप के उपर आक्रमणक हत्या कइने छल।
उक्त कार्यक्रम विभिन्न सगसंस्था के प्रतिनिधि तथा युवा विद्यार्थीसब द्वारा उपस्थिति मे भेल छल।