२८ मंसिर, जनकपुर । धनुषा-४ का नेपाली कांग्रेसके उम्मेदवार महेन्द्र यादव पुन: मतगणनाके माग करैत् सर्वोच्च अदालतमे रिट देने छै । सो क्षेत्र स् नेकपा एमालेके उम्मेदवार रघुवीर महासेठ निर्वाचित भेलापे महेन्द्र पराजित भेल छल।
निर्वाचन आयोग सार्वजनिक कयल गेल मत परिणाममे असहमति संकेत करैत महेन्द्र बुधदिन सर्वोच्च अदालतमे रिट दाखिल देलक । उ फिर स् मत गन्ना माग केने छै । रिटमे निर्वाचन आयोग , मुख्य निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय धनुषा , जिल्ला निर्वाचन कार्यालय धनुषा , प्रमुख जिल्ला अधिकारी और एमालेके उम्मेदवार महासेठके विपक्षी छल ।