२८ मङ्सिर, जनकपुरधाम। ३ बर्ष के प्रेम सम्बन्ध के स्वीकार करैत ८ महिना पहिले घर परिवार क सहमति स नेहा आ डा. पंकज चौधरी के धुमधाम सं विभाह भेल छल । बिवाह मे नेहा के मईती से रुपैया आ सोना चाँदी मिलाके १ करोड २५ लाख रुपैया खर्च भेल छल। दहेज के बिरुद्धके कसुर मे डा. पंकज चौधरीके पक्राउ कइने छै।
महोतरी के रामगोपालपुर ५ के ३५ बर्षिय पंकजके प्रहरी मंगल के साझमे पक्राउ कइने छै।
पडित पत्नी नेहाके देल गेल दहेज बिरुद्धक जाहेरी के आधार प् पंकज के पक्राउ कइने से बात महोतरी क प्रहरी प्रबक्ता सन्तोष पोखरेल जानकरी देलक। दहेज बिरुद्ध के कसुर मे कारवाही करेक लागि पंकज प अनुसन्धान भरहल से हो डिएसपी पोखरेल बतैलक। पंकज के जिल्ला प्रहरी कार्यालय जलेश्वरके हिरासतमे राखने अछि।