२५ मङ्सिर, जनकपुरधाम। बारामे घरमे बेहोश भेटल युवकके मृत्यु भेल अछि । पचारूता नगरपालिका–७ के २६ वर्षीय नागेन्द्र मुखियाके शुक्रदिन राति १२:३० बजे उपचारके क्रममे मृत्यु भेल प्रहरी जनौलक अछि ।
शुक्रदिन राति साढ़े दस बजे पुलिस के रिपोर्ट भेटल जे ओ घर मे बेहोश अछि। प्रहरी टोली पहुँचि नागेन्द्र के इलाज के लेल वीरगंज के नारायणी अस्पताल पठा देलक। जिल्ला प्रहरी कार्यालय बाराके अनुसार नागेन्द्रके उपचारके क्रममे राति १२:३० बजे मृत्यु भेल अछि ।
तहिना बारा सिमरौनगढ नगरपालिका १० निवासी ३० वर्षीय रतन दासके मोटरसाइकिल बेकाबू भ दुर्घटना भेलासँ मृत्यु भेल अछि । शुक्रदिन साँझ बारा महागढिमाई नगरपालिका ८ थलाहिपुलमे भेल दुर्घटनामे घायल रतनके उपचारके क्रममे मृत्यु भेल अछि।
कलैया स लंगडाचोक जा रहल रतन सावर ना २४ पी ५३२५ मोटरसाइकिल बेकाबू भ क पुल क डिवाइडर स टकरा गेल। जिल्ला प्रहरी कार्यालय बाराके प्रवक्ता प्रहरी उपाधीक्षक राजेश थापा माथमे चोटके कारण गम्भीर घायल भेल आ कलैया अस्पतालमे उपचारके क्रममे मृत्यु भेल जानकारी देलनि।