२५ मङ्सिर, जनकपुरधाम। कीर्तिपुरमे स्कूल बससँ टक्करमे सशस्त्र पुलिसकर्मीके मृत्यु भेल अछि। कीर्तिपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ मे स्थित सशस्त्र प्रहरी थानाके आगामे मुख्य सडकमे बस टक्कर मारलासँ २९ वर्षीय सुबाश चन्द्र रटेलाके मृत्यु भेल अछि।
बल्खु सँ चोभर जा रहल इंडियन मॉडर्न स्कूल के बस नंबर १ ए १६१२ रटेला के टक्कर मारि देलक। बयोधा अस्पताल मे इलाज के दौरान हुनकर मृत्यु भेल प्रहरी जनौलक अछि ।
जयप्रीथवी बहादुर नगरपालिका बझाङके कोटेली–५ निवासी रटेला सशस्त्र प्रहरीके केन्द्रीय कार्यालय हलचौकमे कार्यरत छल। उनले चलाएको मोटरसाइकललाई ठक्कर दिएको थियो । बस चालक मनजित सिंहलाई महानगरीय प्रहरी वृत्त कीर्तिपुरले नियन्त्रणमा लिएको छ ।