२३ मङ्सिर, जनकपुरधाम। प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा भ्रष्टाचार नियन्त्रण चुनौती बनि रहल बतौलनि अछि ।
शुक्रदिन अंतरराष्ट्रीय भ्रष्टाचार विरोधी दिवस के अवसर पर प्राधिकरण के दुरुपयोग जांच आयोग द्वारा आयोजित कार्यक्रम में बजैत ओ कहलनि जे, भ्रष्टाचार पर नियंत्रण दिन प्रतिदिन चुनौती बनि रहल अछि। संगहि कहलनि जे, एकर बहुआयामी रूप, कारण आ प्रभाव अछि भ्रष्टाचार के। ओ कहलनि जे, भ्रष्टाचार के खिलाफ अभियान मे न्यायालय, नागरिक समाज आ मीडिया क्षेत्र सहित राज्य के सब तंत्र के भूमिका आ सक्रियता जरूरी अछि। प्रधानमन्त्री देउवा सबके समन्वयमे भ्रष्टाचार नियन्त्रणके बढौने जनउन्मुख सेवा करनाइ जरुरी रहल बटैलै।
ओ कहलनि जे, भ्रष्टाचार पर सख्ती सँ नियंत्रण आ उन्मूलन कए स्वच्छ, स्वस्थ, नैतिक आ विकसित समाजक निर्माण लेल सब गोटे एकजुट होयब आवश्यक अछि। संगहि ओ कहलनि जे, समाजक कलंक बनल भ्रष्टाचार पर नियंत्रण करब, भ्रष्ट गतिविधि सँ दूर रहब आ भ्रष्ट गतिविधिक विरुद्ध आवाज उठब आ नैतिकता केँ निर्वाह करब आवश्यक अछि।