२१ मङ्सिर, जनकपुरधाम। जनकपुरमे स्कूल बसके टक्कर मारि पुरोहितके मृत्यु भेल अछि ।
धनुषा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वडा १ मुसाहारी टोलमे काईल मंगलवार के ४ बजे मोनाष्टिक विद्यालयके बसके टक्कर मारलासँ एक पुरोहितके मृत्यु भेल अछि ।
धनुषा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका १९ बेंगाशिवपुर ७५ वर्षीय पुजारीके मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनौलक अछि। जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा के अनुसार मोनाष्टिक माध्यमिक विद्यालय के स्कूल बस नम्बर १ के ३१२४ सड़क पर चलैत जहरा दास के टक्कर मारलक त दास (पुरोहित) के मौका पर मृत्यु भेल धनुषा प्रहरी जनौलक अछि । तहिना स्थानीय लोकक आरोप अछि जे, बस के बैकिंग के बाद हत्या क देल गेल अछि।
पुलिस बस के नियन्त्रण में लक आ बस चालक मनोज मिश्र के गिरफ्तार क अनुसन्धान शुरू केने अछि, जखन कि धनुषा पुलिस मृतक दास के पोस्टमार्टम के लेल जनकपुर क्षेत्रीय अस्पताल मे राखल गेल अछि।