२१ मङ्सिर, जनकपुरधाम। जनकपुरमे स्कूल बसके टक्कर मारि पुरोहितके मृत्यु भेल अछि ।
धनुषा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वडा १ मुसाहारी टोलमे काईल मंगलवार के ४ बजे मोनाष्टिक विद्यालयके बसके टक्कर मारलासँ एक पुरोहितके मृत्यु भेल अछि ।
धनुषा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका १९ बेंगाशिवपुर ७५ वर्षीय पुजारीके मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनौलक अछि। जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा के अनुसार मोनाष्टिक माध्यमिक विद्यालय के स्कूल बस नम्बर १ के ३१२४ सड़क पर चलैत जहरा दास के टक्कर मारलक त दास (पुरोहित) के मौका पर मृत्यु भेल धनुषा प्रहरी जनौलक अछि । तहिना स्थानीय लोकक आरोप अछि जे, बस के बैकिंग के बाद हत्या क देल गेल अछि।
पुलिस बस के नियन्त्रण में लक आ बस चालक मनोज मिश्र के गिरफ्तार क अनुसन्धान शुरू केने अछि, जखन कि धनुषा पुलिस मृतक दास के पोस्टमार्टम के लेल जनकपुर क्षेत्रीय अस्पताल मे राखल गेल अछि।
धनुषाके मोनाष्टिक विद्यालयके बसके टक्कर मारलाके बाद एक पुरोहितके मृत्यु भेल अछि