Samajik Feed – News Portal from Nepal

२० मङ्सिर, जनकपुरधाम। जनकपुरधाम उप- महानगरपालिका अर्थात् मधेश प्रदेश के राजधानी अछि। एता विभिन्न सरकार एलाई-गेलाई, बहुत दल सब सहो अपन राजनैतिक सत्ता के स्वाद चिखाल्खिन। अहिठाम मधेश प्रदेशक प्रादेशिक अस्पताल सेहो रहल अछि। तुलनात्मक दृष्टिकोण स यादि मुल्यांकन क्याल जाए त् ई अस्पताल में आ गाउँ के कोनो आम अस्पताल में ज्यादा अन्तर नै छै।

कनिक आश्चर्य लगैत ह्यात सुइन क, मुद्दा ई यथार्थ वास्तविकता रहल अछि। प्रदेश के सब स बड्का आ मधेश के बहुत पुराण अस्पताल में नै तह कोनो ढंग के सेवा सुबिधा रहल अछि आ नै तह डाक्टरक ठेकान। जनकपुरधाम में स्वस्थ के बेपार बना क एता के लोग सबके जीवन स खेलवाड होइत आईब रहल अछि। प्राय कोनो ने कोनो घटना अस्पताल में घटित रही छै।

काईल राईत करिब १ बजे के एकता घटना रहल अछि, एकटा ३ वर्षीय बच्चा के एकाशी मन खराब होइछै। घर के लोकसब बच्चा लक डाक्टर लँग पहुचल। Emergency में रहल डाक्टर कनिक लेट स एल्खिन, ता धैर बच्चा के इलाज नर्स आ हुनक स्टाफ सब मिल क करै छाल्खिन। Emergency के डाक्टर रहितो में हुनका लेल करिब आधा घण्टा जतेक राह देखलौ। घर के लोग क्निक खिसियाईते डाक्टर जल्दी बजावा के गुहार लगबई छाल्खिन। डाक्टर आधा घण्टा बाद एल्खिन आ सम्पूर्ण जांच के बाद बच्चा के जल्द स जल्द PICU में राख परत से कहाल्खिन। मुद्दा अस्पताल में PICU के कोनो बेवास्था नै छलै। घरके लोकसब PICU के इन्तेजाम में जुइट गेल्खिन। जनकपुरधाम में कतौ कोनो अस्पताल में PICU के बेवास्था नै भेटल, अन्त में निराश भक बच्चा के बिराटनगर में रेफर क्याल गेल।

मधेश प्रदेश के राजधानी जनकपुरधाम में एकटा बच्चा के राख के लेल PICU के बेवास्था नै रहल अछि। बहुत सत्ताधारी नेता सब एता बड्का बड्का परिवर्तन के बात करैत छथिन, मुद्दा कार्वान्यन किछ नै। जनकपुरधाम के स्वास्थ्य के अवस्था बहुत झुर आ जर्जट रहल अछि।

जनकपुरधाम के स्वास्थ्य आवस्था अहि कबिता में विश्लेषण क्या गेल छै

जिब्ते नर्क जे देख के ह्यात त आईब ज्याब जनकपुरक अस्पताल
अस्पताल देख मन भ ज्यात बेहाल
चौक पर अबिते भेटत डाक्टरक दलाल
के कि सर्जरी के गेनिक
डाक्टर स निक बरु मकेनिक……।
बिन चिर्ने नै ह्यात पर्सौनी
अल्ट्रा साउण्ड पहिले करौनी
Urine kidney TC DC करु इन्तेजाम खुन भईर सिसि
तईपर Oxygen के जोगर
अगर नै भेल त सब मेहनत बेकार

अस्पताल घुमी ज ऎब
संग अवश्य कोनो रोग लेने ऎब
Emeregency डाक्टर सब बनल Fancy
रोगि के निजि क्लिनिक लज्याला फस्ने रहत हरदम बंसी

एक पुर्जा पर ९-९ दवाई
२००-२०० लागत सुई भोकाई

रोगियो कहे जाचु जे जाचब
हमरे और्दा राहत तखने ने हम बाचब
मानवता के पतन भेल छै
नैतिक मूल्य के हनन भेल छै
चेतु चेतु हे इन्सान सब देख रहल य भगवान
सब देख रहल य भगवान

सम्बन्धित निकायलाई ध्यान दिनैपर्ने गम्भीर विषय छ यो।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

error: Content is protected !!