Samajik Feed – News Portal from Nepal

१८ मङ्सिर, जनक्प्र्धम। जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका आवारा मवेशी के नियंत्रण के लेल गौशाला (काजी घर) के निर्माण तेज केने अछि । उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर १२ कुवामे तेजीसँ निर्माण भ रहल गोशाला निर्माणक बाद जनकपुरधाममे सडक व्यवस्थापनमे सहयोग कएल जाएत कहल गेल अछि ।

File photo

नगर प्रमुख मनोज कुमार साह कहलनि जे, गुठी संस्थान सं १ बीघा जमीन पट्टा पर लेला के बाद ओही जमीन पर गोशाला के निर्माण भ रहल अछि आ जल्दिये निर्माण काज पूरा भ जायत।

श्रावण २०७९ के २६ तारीख के नगर प्रमुख मनोज कुमार साह, उप प्रमुख किशोरी साह आ वार्ड अध्यक्ष सब मिलिकय गोशाला के शिलान्यास केलनि। मेयर मनोज कुमार साह जानकारी देलनि अछि जे एक करोड़ गोशाला निर्माणक लागत मे पहिल साल मे मवेशी रखबाक लेल घर, मवेशी लेल आवश्यक भूसा आ भूसा भंडारण लेल घर आ गोशाला क रखरखाव कर्मचारी लेल घर होएत। जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाके मेयर मनोजकुमार साहके विश्वास छै कि शहरी क्षेत्रमे स्वतन्त्र रूपसे घुमै वाला आवारा जानवरके नियन्त्रणमे गोशाला निर्माणसे सडक तथा यातायात व्यवस्थापनमे सहज होत ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

error: Content is protected !!