Samajik Feed – News Portal from Nepal

१६ कार्तिक, जनकपुरधाम। नेपाल इन्भेष्टमेण्ट बैंक(NIB) प्रतिष्ठित फाइनान्सियल टाइम्स, ‘बैंक अफ द इयर २०२२’ अवार्ड सं सम्मानित भेल अछि। सन् २०२२ के लागि नेपाल इन्भेष्टमेण्ट बैंक देशके “उत्कृष्ट बैंक” के रुप मे छनौट भेल छै। बिगत २ दशक मे एनआइबिएल छैटौं बेर बैंकिङ उद्योगके प्रतिष्ठित अवार्ड जितल अछि। एनआइबिएल नेपालमे सबसे बेसी बैंकर अवार्ड जित मे सफल भेल है। डिसेम्बर १, २०२२ बिहीबार, एनआइबिएल बैंकके अध्यक्ष पृथ्वीबहादुर पाण्डे आ प्रमुख कार्यकारी अधिकृत ज्योति प्रकाश पाण्डे बेलायतके लण्डनमे आयोजित अवार्ड समारोहमे बैंकके तर्फसं अवार्ड प्राप्त कैलखिन।

एनआइबिएलके ८८ शाखा, १३३ एटिएम, २२ एक्सटेन्सन काउन्टर, १० राजस्व संकलन काउन्टर आ ६० ग्रामीण शाखा सहित बैंकिङ काउन्टर सं १० लाख सं बेसी ग्राहकसबके सेवा दैत आर्हल छै । उदाहरणीय सेवा आ व्यवसायके लागि छैटौं बेर “बैंक अफ द इयर “अवार्ड प्राप्त किने छै बैंकके अन्तर्राष्ट्रिय प्रकाशन- युरोमनीसं “बेस्ट बैंक २०१८” आ “बेस्ट बैंक २०२१” के लागि युरोमनी अवार्डसब सहो प्राप्त करेमे सफल भेल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *