कार्गो कम्पार्टमेन्टमे धुवाँ देखला बाद काठमाडौंसे थाइल्याण्ड बैंककके लागि उडल जहाज बंगलादेशमे आकस्मिक अवतरण कैने छल ।
नेपाल एयरलाइन्सके न्यारोबडी जहाजके इण्डिकेटर कार्गो कम्पार्टमेन्टमे धुवाँ देखल संकेत करने लगत्तै अवतरण कईने नेपाल एयरलाइन्सके सहायक प्रवक्ता गणेशकुमार घिमिरे जानकारी देने छल ।
जहाज बंगलादेशके चटगाउँ अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलमे अवतरण कईने छल । आरए ४०१ उडान नम्बर रहल ए ३२० जहाजके कार्गोमे रहल सामान उतार्ने छल । सामान उतारलाके बाद जहाजके अखन बैंककस् उडावके तयारी भरल छै ।
इण्डिकेटरमे धुँवा उरल संकेत भेलाप् अवतरण बाद चेकजाँच कईलास् नैकोनो खराबी देखल गेल सहायक प्रवक्ता घिमिरे बतैने छल । जहाजमे १५२ गोटा यात्रु सवार रहल छल ।