१४ मङ्सिर, जनकपुरधाम। विश्व हिन्दू परिषद नेपाल द्वारा आयोजित जनकपुरधामके जानकी मन्दिरमे मंगलदिन राति २६ दम्पतीके विवाह भेल अछि । विश्व हिन्दू परिषद् जनकपुरधाममे विवाह पंचमी महोत्सवके अवसरमे विगत ४ वर्षसँ सामूहिक विवाह समारोह करबैत आबि रहल अछि ।

एम्हर एहि साल सेहो २६ युवक आ युवतीक विवाह ओहि सांकेतिक स्थल मे भेल। परिषद् कहलनि जे, दहेज उन्मूलन के संदेश देबय लेल एहन सामूहिक विवाह के आयोजन कायल जाइत अछि। परिषद्द्वारा सम्पूर्ण विवाहक प्रबंधन करैत अछि ।