१३ मङ्सिर, जनकपुरधाम। भारतीय आ ऑस्ट्रेलिया सेना के टुकड़ी के बीच द्विपक्षीय सैन्य अभ्यास ऑस्ट्रेलिया हिंद २०२२ के उद्घाटन संस्करण सोमवार स॑ राजस्थान केर महाजन फील्ड फायरिंग रेंज म॑ शुरू भेलैय। संयुक्त राष्ट्र (यूएन) के शांति प्रवर्तन जनादेश के तहत अर्ध-रेगिस्तानी इलाका में संयुक्त प्रशिक्षण अभियान शामिल क जाय वाला ई अभ्यास ११ दिसंबर के समाप्त हेतै।
“ऑस्ट्रेया हिंद के श्रृंखला के ई पहल अभ्यास छेकै जेकरा में दोनों सेना के सब हथियार आ सेवा दल के भागीदारी छै ।” ऑस्ट्रेलियाई सेना के टुकड़ी, जेकरा में २ डिवीजन के १३ ब्रिगेड के सैनिक शामिल छै । भारतीय सेना के प्रतिनिधित्व डोगरा रेजिमेंट के सैनिक करैत अछि । व्यायाम आस्ट्रेलिया हिंद एकटा वार्षिक आयोजन होयत जे वैकल्पिक रूप स भारत आ ऑस्ट्रेलिया मे आयोजित कैल जाएत। भारतीय सेना क प्रेस बयान मे कहल गेल अछि।