धनुषा — रौतहट क्षेत्र नं. १ स् प्रतिनिधिसभा सदस्यमे नेकपा एकीकृत समाजवादी के माधव कुमार नेपाल विजयी भेल । माधवकुमार नेपाल नेकपा एमालेके अजयकुमार गुप्ता के ६ हजार ६ सय मतान्तरस् पराजित कैलक ।
माधवकुमार नेपाल ३३ हजार ५२२ मत आनलक् और एमालेके गुप्ता २६ हजार ९२२ मत आनलक् । वत जनमत पार्टीके राजेन्द्रप्रसाद साह १ हजार ४११, स्वतन्त्र उम्मेदवार राहुलकुमार मिश्र ४५४, राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीके सरोजकुमारी सेहो ३५३ मत आनलक् ।
नेपाल ०७४ मे काठमाडौं-२ स् निर्वाचित भेल छल । और एमाले विभाजित भेलका के बाद एकीकृत समाजवादीको अध्यक्ष बनल छल l नेपाल अइबेर कांग्रेस नेतृत्वके लोकतान्त्रिक बाम गठबन्धनस् उम्मेदवारी देनेछ्ल।