Skip to main content

०६ पौष, जनकपुरधाम। पर्सामे एकटा विवाहमे नाचबला झगड़ामे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
प्रहरीके अनुसार मंगलदिन राइत् मे भेल झगड़ामे जिल्लाके जिराबवानी नगरपालिका ४ के ३६ वर्षीय सैमुल्ला राउतके मृत्यु भेल छै ।
प्रहरीके अनुसार 22 वर्षीय स्थानीय साबीर राउत गड्डी के विवाह मे भेल झगड़ा के कारण सैमुल्ला के मारपीट क हत्या क देल गेल।
घायल सैमुल्ला के इलाज के लेल नारायणी अस्पताल वीरगंज पहुंचाओल गेल आ डॉक्टर हुनका मृत घोषित क देलक।
प्रहरीके अनुसार सैमुल्ला राउत गड्डी सेहो साबीर राउत गड्डी के विवाह मे गेल छल आ एहि बात पर विवाद छल जे सैमुल्ला विवाह मे नाच करे वाला व्यक्ति के नाचय नै देलखिन्।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्सा एहि संबंध मे आगाँ अनुसन्धान चलि रहल जानकारी देलक अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *