Skip to main content

०६ पुष, जनकपुरधाम। शेरबहादुर देउवा नेपाली कांग्रेस संसदीय दलक नेता निर्वाचित भेल अछि। महामन्त्री गगन कुमार थापाके ३९ मतके अंतरसँ पराजित कए देउवा पार्टीके नेता चुनल गेल छल। नेता बीर बहादुर बलायर जानकारी देलनि जे देउवा केँ ६४ मत भेटलनि त गगन केँ २५ मत भेटलनि।

चुनाव मे सभ ८९ सांसद भोट देलखिन्ह। नेपाली कांग्रेस संसदीय दलक निर्वाचनमे संसद सदस्य माया राय अस्पतालसँ मतदान केलनि। प्रसव के बाद ओम अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। चुनाव समिति के प्रतिनिधि अस्पताल जा क हुनकर वोट संकलन केलखिन्ह।

गगन थापा के सहयोगी नेता शेखर कोइराला, उपाध्यक्ष धनराज गुरुङ, महामन्त्री विश्वप्रकाश शर्मा, प्रदीप पौडेल लगायत रहे।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *