Skip to main content

०६ पुष, जनकपुरधाम। नेकपा माओवादी केन्द्र बृहस्पतिदिन संसदीय दलक नेताक चयन करय जा रहल अछि। सांसद के शपथ लेला के बाद माओवादी पार्टी के नेता के चुनाव करय जा रहल छथिन्ह।
माओवादी केन्द्रके संसद सदस्य रानेन्द्र बरैलीके अनुसार शपथ लेलाके तुरन्त साँझ ४ बजे संसदीय बैसार बजाओल गेल अछि।

माओवादी केन्द्रक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ पार्टीक नेताक रूपमे चयन निश्चित अछि । पार्टी के नेतृत्व के लेल हुनका चुनौती देबय वाला माओवादी मे कियो नहि देखल गेल अछि। माओवादी केन्द्रमे ३२ सांसद अछि जाहिमे १८ गोटे प्रत्यक्ष निर्वाचित आ १४ आनुपातिक अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *