५ पुष, जनकपुरधाम। अभिनेता शाहरुख खानके ‘पठान’ रिलिज के बाद काफी चर्चा मिलल छ। अई के बाद निर्माता द्वारा ‘बेसाराम रंग’ गीत रिलीज केलाक बाद फिल्म के प्रशंसा स बेसी बहिष्कारके धमकी भेट रहल अछि।

फिल्म के बहिष्कार करबाक चाही कहैत ऑनलाइन आलोचना कयल गेल अछि। भारतीय जनता पार्टीके नेता आ महन्थ सब शाहरुख पर आक्रोसित छथि जे दीपिका पादुकोणके ड्रेस आ गीत में प्रयोग कयल गेल पहिरनस हिन्दू धर्म के अपमान केलक।
फिल्म बहिष्कार शुरू भेला पर चुप रहल शाहरुख एहि मामला मे अपन चुप्पी तोड़ि देलथि अछि। शाहरुख अपन नाराजगी जतौलनि जे पठान के बहिष्कार करय चाहय वाला पार्टी देश के विभाजन करय के कोशिश मे लागल अछि।
शाहरुख कहलनि जे, ‘दुनिया चाहे जे किछु करय, हम आ अहाँ सकारात्मक सोच वाला लोक छी, हम सब जीवित छी।’ शाहरुख के इशारा ओहि लोक पर छल जे सामाजिक सञ्जाल पर पठानके खिलाफ ट्रोल क रहल छथि।