Samajik Feed – News Portal from Nepal

४ पुष, जनकपुरधाम। आइ मंगलदिन नेपाली कांग्रेस संसदीय दलक नेताक चयन लेल नामांकन दर्ज कराओल जा रहल अछि । बुधदिन भोर मे मतदान होयत।
काल्हि (बुधदिन) पार्टीक नेताक चयन हेबाक लेल मतदानक लेल आइ दुपहर २ बजे सँ ३ बजे धरि नामांकन पंजीकरणक कार्यक्रम रहल नेपाली कांग्रेस जानकारी देलक अछि।

निर्वाचन समिति के संयोजक भीष्मराज अंगदम्बे अभ्यर्थी के नामांकन पंजीकरण शुल्क ५१ हजार रुपैया रहल जानकारी देलनि । संसदीय दलके नेताके लेल पार्टी अध्यक्ष शेरबहादुर देउबा, वरिष्ठ नेता रामचन्द्र पौडेल, महामन्त्री गगन थापा, डा. शेखर कोइराला आदि दावेदार छथि। थापा आ कोइराला पक्ष के बीच साझा उम्मीदवार के स्थापना के मुद्दा पर चर्चा चलि रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *