४ पुष, जनकपुरधाम। तत्कालीन केपी शर्मा ओली के नेतृत्व वाला सरकार द्वारा ५ पुष २०७७ के प्रतिनिधि सभा के विघटन के सर्वोच्य ११ पुष के रद्द क देलक। फैसला के दू साल पूरा भेला के बाद सेहो सुप्रीम कोर्ट फैसला के पूरा पाठ तैयार नहि केलक अछि।
सर्वोच्य के एकटा पीठ अधिकारी कहलनि जे, हं, फैसला के पूरा पाठ एखन धरि तैयार नहि भ सकल अछि, पूरा पाठ के मसौदा तक तैयार भ गेल अछि। मुख्य न्यायाधीश (चोलेन्द्रशमशेर जबरा) के विवाद में फंसला के बाद ओ मामला प्राथमिकता में नै बनल आ फैसला के पूरा पाठ तैयार नै भ सकल।
तत्कालीन मुख्य न्यायाधीश चलेन्द्र शमसेर जबरा, न्यायाधीश विश्वम्भर प्रसाद श्रेष्ठ, अनिल कुमार सिन्हा, सपना प्रधान मल्ला आ तेजबहादुर केसी सँ बनल संवैधानिक पीठ सर्वसम्मति सँ प्रतिनिधि सभा के विघटन रद्द करबाक निर्णय लेलक।