Samajik Feed – News Portal from Nepal

४ पुष, जनकपुरधाम। संघीय संसदके सचिवालय प्रतिनिधिसभाके सदस्यसबके शपथ ग्रहणके तयारीके आगाँ बढौलक अछि। संसद सचिवालय के अनुसार किछ दिन बाद शपथ ग्रहण के तारीख तय भ रहल अछि।

अपन मातृभाषा मे शपथ लेबय वाला संसद सदस्य के ३ दिन पहिने नोटिस देबय के प्रथा अछि। एहि प्रथा क अनुसार सूचना देबा लेल कम स कम तीन दिन राखि कए शपथ क तारीख तय करबाक अछि।

संसद सचिवालय ६ या ७ पुष के शपथ ग्रहण कार्यक्रम करबाक तैयारी केलक अछि। एकर पहिल २७५ निर्वाचित सदस्य में सबसें पुरान सदस्य के राष्ट्रपति के साथ शपथ लेना जरूरी छै। वरिष्ठ सदस्य राष्ट्रपति के संग शपथ लैत छथि आ अन्य सांसद के शपथ दैत छथि।

राष्ट्रपति विद्या देवी भण्डारी नव सरकार गठन के आह्वान केने छथि । तदनुसार १० पुष तक सरकार बनत। नव सरकार के गठन सं पहिने संसद सचिवालय संसद सदस्य के शपथ ग्रहण के कार्यक्रम करय जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *