४ पुष, जनकपुरधाम। आइयो देशक किछु भाग मे मौसम बदलत।
मौसम पूर्वानुमान विभाग के अनुसार बिहार के निम्न दबाव प्रणाली के नेपाल में सामान्य प्रभाव पड़ल अछि। एकर परिणाम ई छै कि नेपाल के तराई क्षेत्र के कुछ भाग धुईन स भईर गेल छै।
संभाग के अनुसार आइ दुपहर मे बागमती प्रदेश, गण्डकी प्रदेश आ लुम्बिनी प्रदेश मे आंशिक सँ सामान्य वर्षा होयत, जखन कि बाकी क्षेत्र मे मौसम सामान्यतः साफ रहत। प्रदेश १, बागमती प्रदेश आ गण्डकी प्रदेशके पहाड़ी क्षेत्रमे एक-दू ठाम हल्के वर्षाके सम्भावना अछि । प्रदेश १, बागमती प्रदेश आ गण्डकी प्रदेश ऊँच पहाड़ी आ हिमालय क्षेत्रमे एक-दू ठाम हल्का बर्फबारीके सेहो सम्भावना अछि ।
मंगलदिन सेहो देश के पहाड़ी इलाका मे हल्का वर्षा आ ऊँच पहाड़ी इलाका मे बर्फबारी के संभावना अछि। बुधदिन प्रदेश १, बागमती प्रदेश आ गण्डकी प्रदेशमे आंशिक परिवर्तन भेलाक बादो वर्षा आ बर्फबारीके सम्भावना कम अछि ।