सामाजिकफिड-
जनकपुरधाम, पुस ४ गते ।
जनमत पार्टीके संसदीय दलके नेता अध्यक्ष डा. सिके राउत बनल अछी । रविदिन काठमाडौंके बुधनगर स्थित जनमतके पार्टी कार्यालयमे बसल संसदीय दलके बैठक स् दलके नेतामे डा. राउत सर्वसहमति स् चयन भेल छै ।
जनमतके नेता विपी साहके अनुसार दल उपनेता और प्रमुख सचेतक चयन हुवके बाँकी छै । तैके लागी आई पुनः १० बजे बैठक बैसत् । जनमत प्रत्यक्षमे १ और समानुपातिक तर्फ ५ जम्मा ६ सिट जितल छै । राउत सप्तरी क्षेत्र नं. २ स् जसपा अध्यक्ष उपेन्द्र यादवके दोब्बर बेसी मतलाके पराजित करैत् जितेल छल ।