४ पुष, जनकपुरधाम। कतार विश्वकप में सर्बाधिक गोलकर्ता के रुप में फ्रान्सके केलियन एम्बाप्पेके गोल्डेन बुट भेतालैया। उपाधि विजेता अर्जेन्टिनी टिमके सुपरस्टार लियोनल मेस्सी विश्व के सर्वोत्कृष्ट खेलाडीके रुपमें गोल्डेन बल प्रदान क्याल गेल छै।
दोहास्थित लुसेल रंगशालामें सम्पन्न भेल रोमान्चक आ नाटकीय खेलमें फ्रान्सके पेनाल्टी शुटआउटमें पराजित कैर क लियोनल मेस्सी प्रेरित अर्जेन्टिनाके ३६ वर्षबाद विश्वकप उपाधि जित में सफल भेल अछि।
फाइनल में हैट्रिक करला के बावजूद एमबाप्पे फ्रांस के विश्व कप के खिताब नै द सकल छेलै। ओ विश्व कप फाइनल मे हैट्रिक पूरा करय वाला पहिल खिलाड़ी बनलाह। विश्व कप के सात मैच में ८ गोल करै वाला पेरिस सेंट जर्मेन पीएसजी के २३ वर्षीय सुपरस्टार एमबाप्पे पहिल बार गोल्डन बूट जीतल छै। ई दोसर बार छै जब मेसी विश्व कप के सर्वश्रेष्ठ खिलाड़ी बनल छै।