Skip to main content

३ पुष, जनकपुरधाम। संघीय संसदके महासचिव भारतराज गौतम सर्वोच्च न्यायालयके संवैधानिक पीठमे लिखित उत्तर पठौलनि अछि। पूर्व मुख्य न्यायाधीश चोलेन्द्र शमशेर जबरा के महाभियोग प्रस्ताव बेअसर बताबैत पत्र देला के बाद विवाद में पड़ल गौतम के सर्वोच्य के पूर्ण न्यायालय आ संवैधानिक पीठ द्वारा पत्र देबाक कारण के बारे में जवाब देबय लेल कहल गेल छल।

रविदिन संवैधानिक पीठमे लिखित उत्तर पठबैत गौतम प्रतिनिधि सभाक कार्यकाल समाप्त भेलाक बाद प्रतिनिधि सभाक अन्य व्यवसायक संग महाभियोग प्रस्ताव निष्क्रिय भ जाएत दाबी केने छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *