कतारमे जारी विश्वकप २०२२ के फाइनल खेल आई राइत ८ः४५ बजे शुरु होइत् । ई खेलमे दुई पटक विश्वकप विजेतासब तेसर पटक उपाधि जितलेल भिडत्।
कतारके लुसियल आइकनिक स्टेडियममे होईवाला फाइनल खेलमे अर्जेन्टिना और फ्रान्सबीच प्रतिस्पर्धा होईत् । अर्जेन्टिना सेमिफाइनलमे क्रोएशिया स् पराजित भेल छल। तहिने फ्रान्स मोरोक्कोके पराजित कईने छल।
विश्वकपके इतिहासमे फ्रान्स और अर्जेन्टिना दुनु दु दु पटक विश्वकप जितल छै । फ्रान्स सन् १९९८ और सन् २०१८ मे विश्वकप जितल छल। अर्जेन्टिना सन् १९७८ और सन् १९८६ मे विश्वकपके बिजेता छै। ई बाहेक अर्जेन्टिना सन् १९३०, १९९० और २०१४ कके तीन पटक विश्वकपके फाइनलमे पुगल छै । यी विश्वकपमे अर्जेन्टिना उपविजेता भेल छल। फ्रान्स सन् २००६ विश्वकपके उपविजेता बनल छल। ई फाइनल अर्जेन्टिनाके छैठौँ फाइनल खेल है तहिने फ्रान्सके चौथो फाइनल छै ।
अइ स् पहिल फ्रान्स और अर्जेन्टिना बीच कुल १२ खेल भेल छै। जईमे स् ६ खेलमे अर्जेन्टिना फ्रान्सके पराजित कइने छै तेहने फ्रान्स ३ खेलमे जित हासिल कइने छै । ई दुई बीचके बाँकी ३ खेल बराबरीमे सकल छै ।