Samajik Feed – News Portal from Nepal

पुस ३ , जनकपुरधाम। आन्दोलनमे शहीद भेल शहीद के परिवार के प्रति महिना पाँच हजार एक सय रुपैया उपलब्ध करौलक अछि सप्तरी के राजविराज नगरपालिका नगर क्षेत्र के भीतरमे।

शहीद के परिवार के लेल नगरपालिका प्रति महिना पाँच हजार एक सय के व्यवस्था शुरू क देलक अछि नगरपालिका सभा के निर्णय के अनुसार।

मुख्य प्रशासनिक अधिकारी विनय कुमार सोनू शहीद के परिवार के पाँच हजार एक सौ प्रति माह के दर सं जीवन यापन भत्ता देबय के नगर सभा के फैसला के अनुसार सहयोग राशि के वितरण शुरू क देल गेल जानकारी देलखिन्ह। एखन धरि शहीद के परिवार के संख्या तीन भ गेल अछि जेकरा ई सहयोग राशि भेटल अछि।

ई सुविधा प्राप्त करबाक लेल शहीद परिवार के शहीद प्रमाण पत्र, नागरिकता प्रतिलिपि, संबंध के प्रमाण आ संबंधित वार्ड कार्यालय के सिफारिश जेहन आवश्यक दस्तावेज जमा करय पड़त।

नगर परिषद के पहिल बैसार के निर्णय के अनुसार पिछला जुलाई स मासिक भत्ता देल गेल अछि, राजविराज नगरपालिका के कार्यवाहक मेयर इसरत परवीन जानकारी देलनि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *