३ पुष, जनकपुरधाम। नेकपा माओवादी केन्द्रक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल आइ प्रधानमन्त्री तथा नेपाली कांग्रेसक अध्यक्ष शेरबहादुर देउवासँग भेंट कए सत्ताधारी गठबन्धनके कोना आगू बढल जाय ताहि पर विमर्श केलन्हि।
दाहाल नव प्रधानमंत्री बनय लेल देउवा के समर्थन मंगलनि कि नहि त नेकपा एमसी के नेता नारायण काजी श्रेष्ठ नकारात्मक जवाब देलखिन्ह. श्रेष्ठ कहलनि जे, दाहाल देउबा सं पूछलनि जे ओ कोना आगू बढ़य चाहैत छी, जाहि पर देउबा कहलनि जे गठबंधन के सब साझेदार के अपन-अपन संगठन के भीतर फैसला करबाक चाही। ओना किछु ऑनलाइन मीडिया के खबर अछि जे दाहाल अगिला प्रधानमंत्री बनय लेल देउबा सं मदद मंगलखिन्ह।
नेपाली कांग्रेसके प्रवक्ता प्रकाश शरण महत बालुवातारमे पत्रकारसबसँग कहलनि जे, प्रधानमन्त्री पद पर दाहालके दावी स्वाभाविक रहला पर ८९ सीटबला प्रतिनिधि सभामे सबसँ पैघ शक्ति नेकपा नव सरकारके नेतृत्व करए त उचित होयत ।