Samajik Feed – News Portal from Nepal

३ पुष, जनकपुरधाम। नेपाल तेल निगम वार्षिक खर्च मे ८० करोड़ जोड़ि पेट्रोलियम परिवहन करयवला टैंकरक किराया बढौलक अछि। निगम के प्रवक्ता विनीतमणि उपाध्याय शुक्रदिन सं लागू भ रहल ईंधन परिवहन करय वाला करीब १९०० टैंकर के किराया बढ़ा देलखिन्ह।

दू साल पहिने निगम द्वारा कैल गेल किराया समायोजन अध्ययन मे इ निष्कर्ष निकालल गेल छल जे अगर किराया १० प्रतिशत तक बढ़ि गेल त निगम कए करीब ८० करोड़ क अतिरिक्त खर्च होएत।

प्रवक्ता उपाध्याय कहलनि जे, निगम २७ कार्तिक के निदेशक मंडल के निर्णय के अनुसार 1 जनवरी के किराया वृद्धि के लागू केलक। हुनकर अनुसार परिवहन भाड़ा मे कम स कम ५ स १० प्रतिशत क बढ़ोतरी भेल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *