२९ मङ्सिर, जनकपुरधाम। लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी लोस्पा के अध्यक्ष महंथ ठाकुर के कहनाय छनि जे सरकार मे शामिल होएब कि नहि से समय तय करत। ई सब कोनो गैर सरकारी संगठन जेकाँ नै छै जे ककरो एजेंट के रूप मे काज करैत अछि आ पाइ अनैत अछि से कहैत ओ इहो कहलनि जे, केओ प्रधानमंत्री बनि जाय, ओ अपन मांग आ मुद्दा स पाछू नहि हटताह।
राष्ट्रीय समाचार समिति (आरएएसएस) के अन्तर्वार्ता दैत अध्यक्ष ठाकुर कहलनि जे, हम सब गैर सरकारी संगठन (एनजीओ) नहि छी, पैसा ल क ककरो एजेंट के रूप मे काज करैत छी। पार्टी जनता के सेवा के लेल स्थापित राजनीतिक संगठन अछि। ई सदिखन जनताक प्रति जवाबदेह रहैत अछि। एहि लेल सरकार मे शामिल होएब या नहि करब से समय तय करत। ओ कहलनि जे, वर्तमान गठबंधन के जारी राखय के चाही जाहि सं देश के विकास आ समृद्धि के तरफ बढ़ल जा सकय। मधेसी आ थारुहट प्रकरणके पीडितके अखनो न्याय नै भेटल बतौलनि आ जेलमे रहलके रिहा करबाक चाही बतौलनि ।