Samajik Feed – News Portal from Nepal

जनकपुरधाम, मंसिर २९ गते ।

धनुषा सवारी दुर्घटनामे एक युवकके मृत्यु भेल अछी । मृत्यु भेलहा महोत्तरीके भङ्गाहा नगरपालिका–४, रहल २४ वर्षिय अमरेन्द्र महतो छै ।
बुधदिन राति १० बजे पूर्व पश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत मिथिला नगरपालिका–६, ढल्केवरस्थित हेल्थपोष्ट अगाडि पूर्व–पश्चिम राजमार्गमे काठमाडौंतर्फ जारहल प्रदेश–३–०१–००६ ख ६८४ नम्बरके बसमे पिछु –पिछु आरहल प्रदेश–२–०२–००३ प ३८४३ नम्बरके महतो चलाईब रहल मोटरसाइकल ठोकाईल छल ।

बसमे ठोकाईल मोटरसाइकल अनियन्त्रत भके काठमाडौं स् पूर्वतर्फ जारहल बा ५ ख ५२७४ नम्बरके हाइस गाडीमे समेत ठोईकके महतो गम्भीर घाइते भेल छल ।

उ प्रादेशिक अस्पताल जनकपुर उपचारके क्रममे मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनकारि करैलक । बस, हाइस और मोटरसाईकलके नियन्त्रणमे लके थप अनुसन्धान करहल जनकारी देने अछी ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *