Samajik Feed – News Portal from Nepal

२७ मङ्सिर, जनकपुरधाम। चितवन के चितवन गार्डन रिज़ॉर्ट मे विवाह के भोज करय वाला ३०० लोक बीमार भ गेल छथिन्ह। विवाहक भोज खयनिहार मे दस्त, उल्टी, बोखार देखल गेल अछि ।

किछ मरीज के भरतपुर के नेशनल सिटी अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। एकेटा भोज में भोज खयनिहार मे दस्त, उल्टी, बोखार स बिरामी भेल अस्पताल में भर्ना रहल जानकारी फिजिसियन डा. गौरीराम महतो देने छैथ।

हुनका अनुसार अस्पताल म॑ अखन तक ७० स॑ अधिक मरीज के इलाज भ चुकल छै । फिलहाल ३५ मरीज अस्पताल मे भर्ती छथि। डॉ. कहलनि जे, सबहक हालत एखन स्थिर अछि, सबहक लक्षण एक समान अछि, लगैत अछि जेना होटल मे भोजन सं फूड पॉइजनिंग भ गेल हो।

२३ मङ्सिर के नवलपुर क गैंडाकोट-१ क गणेश ढकाल आ भरतपुर-१० क करिश्मा अधिकारी क विवाह समारोह मे बीमार पड़ल लोक में छलाह। वर पक्ष के २५० आ कनिया पक्ष के किछ लोक बीमार भ गेल छथिन्ह। भोज मे भाग लेनिहार घिन्दाकोट के सविन लमसाल कहलनि जे, दुनू दिस सं ३०० लोक बीमार भ गेल। लमसल वर-कनिया के सेहो दस्त भेला के जानकारी देलखिन।
लमसल कहलनि जे, होटल मालिक के खराब गुणवत्ता वाला भोजन परोसय के कारण हुनका सब के बीमार करय के कारण होटल मालिक के खिलाफ कार्रवाई के मांग क रहल छी। ओ इहो जानकारी देलनि जे मंगलदिन होटल मालिक नेशनल सिटी अस्पताल मे मरीज के देखय लेल आयल छलाह।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *