Skip to main content

२७ मङ्सिर, जनकपुरधाम। वीरगञ्ज महानगरपालिका वडा नं. ६ काईल दुपहर मे पूर्वी चंपारण के छैदादनो रेल क्षेत्र मे मैस्थान निवासी ५० वर्षीय सुनील कुमार अग्रवाल के मृत शरीर भेटल।
वीरगंज घड़ी टावर के समीप स्थित पशुपति इलेक्ट्रिक के मालिक सुनील अग्रवाल भोर मे मॉर्निंग टहल करय लेल निकलला के बाद दुपहर एक बजे तक परिवार के संपर्क मे नहि अयला के बाद हुनका लेल तलाशी अभियान शुरू कायल गेल।

जीआरपी रक्सौल थाना के धर्मेन्द्र कुमार के कहनाय छनि जे माथ मे चोट के कारण हुनकर मौत भ सकैत अछि। बताओल जा रहल अछि जे रक्सौल के जीआरपी टीम लाश के पोस्टमार्टम के लेल मोतिहारी पठा देलक आ घटना के जांच भ रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *