२३ मङ्सिर, जनकपुरधाम। नेकपा माओवादी केन्द्रक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’, नेपाल समाजवादी पार्टीक अध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराई आ नेपाली कांग्रेसक वरिष्ठ नेता रामचन्द्र पौडेलक बीच बैसार भेल अछि। सिंहदरबार स्थित माओवादी केन्द्रक संसदीय दलक कार्यालयमे तिनु क बीच बैसार भेल अछि।
बैसार मे वर्तमान राजनीतिक स्थिति, चुनाव परिणाम आ नव सरकार गठन पर चर्चा भेल। एहि बैसार मे नेसप नेता महेन्द्र राय यादव सेहो भाग लेलनि। प्रतिनिधि सभा आ प्रदेश सभा सदस्य चुनावक सबटा प्रत्यक्ष परिणाम आबि गेल अछि।
समानुपातिक पक्ष मे सांसद क चयन क अंतिम तैयारी सेहो चलि रहल अछि। पार्टी नव सरकार बनेबाक तैयारी मे अछि।