Skip to main content

२२ मङ्सिर, जनकपुरधाम। धनुषा क्षीरेश्वरनाथ नगरपालिका ५ महेन्द्रनगर स्थित इलेक्ट्रॉनिक दोकानमे आगि लागल अछि। महेन्द्रनगरके अमरचोक स्थित हीरा इलेक्ट्रॉनिक दोकानमे बितल राति आगि लागल अछि।
क्षेत्र प्रहरी कार्यालय महेन्द्रनगरके प्रहरी निरीक्षक बेचन यादव आगिके कारण फ्रिज, राइस कुकर, पंखा, गैस स्टोव आदि सहित दोकानमे राखल सामान जरि गेल जानकारी देलनि।

मिथिला नगरपालिका २ के हीरा महतो द्वारा संचालित दोकान मे बुधदिन राति करीब १२:३० बजे आगि लागल अछि । मिथिला नगरपालिका ढल्केबार सँ वरुण यंत्र बृहस्पतिदिन (आइ) भोर ३ बजे मात्र पुलिस आ स्थानीय लोकक सहयोग सँ नियंत्रण मे आनल गेल। अनुमान अछि जे बिजलीक शॉर्ट के कारण आगि लागल होयत। जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाके अनुसार घटनाके अनुसन्धान चलि रहल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *