जनकपुर, २१ मंसिर
युरोपेली प्रतिद्धन्द्धी स्विट्जरल्यान्ड ६–१ ले पराजित करैत पोर्चुगल कतार विश्वकप २०२२ के अन्तिम आठमा प्रवेश कइने छै । स्ट्राइकर गोन्कालो रामोस कतार विश्वकप २०२२ मे पहिल ह्याट्रिक कइलाके बाद पोर्चुगल बुधबार राति सहज जित सहित क्वाटरफाइलनमे मोरक्कोसँगके भेट पक्का कइने छै । रामोस कइल जारी विश्वकपमे ई पहिल ह्याट्रिक छै ।
कतारके दोहास्थित लुसेल आइकोनिक रंगशालामे रामोस ह्याट्रिक कइलासे पेपे, राफेल गुइमारेज और राफयल लिआओले एक एक गोल कइने छल ।
अन्तिम १६ के खेलमे स्वीट्जरल्यान्डविरुद्ध ६–१ के जित निकालने खेलमे ह्याट्रिक पूरा करैत उ अइ विश्वकपमे ह्याट्रिक पूरा करैत पहिल खेलाडी बनल छै । अइसे पहिले सन् २००२ मे जर्मनीके मिरोस्लाभ क्लोज साउदी अरेबिया विरुद्ध एहने उपलब्धि हासिल कइने छल ।
पोर्चुगलके मुख्य प्रशिक्षक फर्नान्डो सान्तोष भेट्रान फरवार्ड तथम कप्तान क्रिष्टियानो रोनाल्डोके बेञ्चमे राईख युवा स्टार रामोसके खेलाके जोखिम लेने छल । लेकिन, उ जोखिम ओकरा प्रमाणित कदेलक ।
रोनाल्डोके स्थानमे पहिल रोजाईमे खेलल रामोस १७औं, ५१औं र ६७औं मिनेटमे गोल करैत ह्याट्रिक पूरा कैलक । उ विश्वकपमे स्वीजरल्याण्डविरुद्ध मात्र पहिल रोजाईँमे खेलने छल ।