२१ मङ्सिर, जनकपुरधाम। सरकार गाड़ी, शराब, मोबाइल आ मोटरसाइकिल के आयात पर लागल रोक हटाबय के फैसला केलक अछि. मंगलदिन भेल मंत्रिमंडल क बैसार मे २९ मङ्सिर स लागू होबय वाला एहि प्रतिबंध कए हटाबय क फैसला कैल गेल अछि।
एकटा मंत्री जानकारी देलनि जे कैबिनेट बैसार मे उद्योग, वाणिज्य आ आपूर्ति मंत्रालय कए सैद्धांतिक सहमति देबाक निर्णय लेल गेल अछि जे २९ मङ्सिर क बाद ४ प्रकार क लग्जरी सामान क आयात पर रोक नहि बढ़ाउल जाए। अहिसँ पहिने नेपाल राष्ट्र बैंक आ वित्त मन्त्रालय उद्योग, वाणिज्य आ आपूर्ति मन्त्रालयके आयात प्रतिबन्ध हटबाक सुझाव देने छल । किछु दिन पहिने मंत्रालय आयात प्रतिबंध हटाबय के प्रस्ताव मंत्रिमंडल के देलक।
मंत्री परिषद क फैसला राजपत्र मे प्रकाशित भेलाक बाद आयात प्रतिबंध हटा देल जाइत अछि। सरकार क खजाना मे विदेशी मुद्रा भंडार घटैत गेलाक कारण वाणिज्य मंत्रालय पिछला १३ बैसाख स १० तरह क लग्जरी सामान पर आयात पर रोक लगेबाक घोषणा केने छल।
सरकार एहि प्रतिबंध के आओर परिष्कृत क ६ तरहक सामान पर रोक हटा देलक, आ ५०,००० डॉलर सं बेसी के कार, ३०० डॉलर सं बेसी के मोबाइल फोन, सब तरहक विदेशी शराब आ १५० सीसी सं बेसी के मोटरसाइकिल पर आयात प्रतिबंध २९ मङ्सिर तक बढ़ा देल गेल. सरकार के फैसला के बाद १ पुष सं एहि सामान के आयात कएल जा सकैत अछि।