Skip to main content

२० मङ्सिर, जनकपुरधाम। कपिलवस्तु जिला न्यायाधीश भुवन गिरी एक महिला के बंधक बना क यौन शोषण के आरोप मे जांच कायल गेल अछि। पीड़िता बंधक बना क यौन शोषण के आरोप लगा क शिकायत दर्ज करौला के बाद कपिलवस्तु जिला प्रहरी कार्यालय जांच शुरू केलक।

पीड़िता शुरू मे न्यायाधीश गिरी के खिलाफ कपिलवस्तु पुलिस मे शिकायत दर्ज करौने छल। मुदा कपिलवस्तु पुलिस शिकायत स्वीकार करय सं मना करला के बाद पीड़िता एक सप्ताह पहिने राष्ट्रीय मानवाधिकार आयोग आओर महिला आयोग सं संपर्क क शिकायत दर्ज करौलखिन्ह. दुनू आयोग कपिलवस्तु पुलिस कए पत्र पठेलक जाहि मे शिकायत क जांच करबाक निर्देश देल गेल। मानवाधिकार आयोग सेहो शिकायत आ पत्र न्यायिक परिषद् मे पठा देने छल।
जज साहेब शारीरिक बंधक बना क यौन शोषण क रहल छथि, एकटा शिकायत हमरा सब लग एक सप्ताह पहिने आयल छल। हम कपिलवस्तु पुलिस कए शिकायत कए ल कए ओकर जांच करबाक निर्देश देलहुं अछि।’
मानवाधिकार आयोग के अनुसार शिकायत में न्यायमूर्ति गिरी पर पीड़िता के लगभग 5 साल तक बंधक बना क यौन शोषण के आरोप लगायल गेल अछि। महिला आयोग के अनुसार पीड़िता ०७५ स न्यायाधीश के संग छल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *