Samajik Feed – News Portal from Nepal

१९ मङ्सिर, जनकपुरधाम। नेकपा माओवादी केन्द्रक गंगा कार्की दोलखासँ प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचित भेल अछि । कार्की ५१८ मत के अंतर स चुनल गेलाह। कार्की क॑ ३६ हजार ९९५ मत मिललै जबकि हुनक निकटतम प्रतिद्वंदी नेकपा एमाले प्रत्याशी बालकृष्ण सिवाकोटी क॑ ३६ हजार ४७७ मत मिललै ।

आब आनुपातिक गणना भ रहल अछि। मुख्य निर्वाचन अधिकारी कार्यालयके एक कर्मचारी कहलनि जे, आनुपातिक मतपेटी मे प्रत्यक्ष मतपत्र भेटला पर सेहो सर्वदलीय बैसार मे ओकर गिनती करबाक निर्णय लेल गेल अछि।
एकर संग-संग देशक चुनाव परिणाम सेहो आबि गेल अछि। कार्की के जीत के साथ माओवादी केन्द्र प्रत्यक्ष रूप स प्रतिनिधि सभा के १८ सीट पर जीत हासिल केलक अछि। ४ मङ्सिर कए भेल चुनाव मे दोलखा क १० इलाका मे धांधली भेल एहि निष्कर्ष क संग १५ मङ्सिर कए ओहि इलाका मे फेर स चुनाव भेल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *