जनकपुर, १८ मंसिर:काठमाडौं महानगरपालिकाके उपमेयर सुनिता डंगोल महानगरभित्रके आकाशे पुल तत्काल मर्मत करके निर्देशन देने छै
महानगरके सार्वजनिक निजी साझेदारी एकाईके अधिकारीसँग छलफल करैत् उपमेयर डंगोल निजी साझेदारी कार्यक्रम अन्तर्गतके आकाशे पुल असुरक्षित भेलापे सुधारके काम तत्काल मर्मत करपरत् बतैलक ।
‘आकाशे पुलके संरचना टुटल छै । हिँड्के गेलापे गिरवा अवस्था छै । बार बडा भेला साँझ बिहान पुलभित्र हिँड्डुल असुरक्षित छै । अपाङ्गता भेल व्यक्ति पुलसे यात्रा कर नैसकत । जोखिम मोललके सडकसे दोसर किनारामे पुग् पैरहल छै ,’ डंगोल कहलक, ‘पुलके बार घटाब परत । यी बार पारदर्शी हुव परत । मर्मत कके दुरुस्त बनाब परत । एक पटक बनाके अलपत्र बनाके नैहोइत । नियमित मर्मत करपरत । एकर लागि निर्माण पक्षके तत्काल पत्राचार करु ।’
महानगरके निर्देशक नुरनिधि न्यौपाने, सार्वजनिक निजी साझेदारी कार्यक्रमअन्तर्गत सञ्चालनमे रहल काठमाडौँ टावर निर्माण, सार्वजनिक शौचालय निर्माण और व्यवस्थापनलगायत योजनाके विषयमे जानकारी करैने छल ।